Subscribe

RSS Feed (xml)



Powered By

Powered by Blogger

Best Offers

Share with me

Tuesday, June 14, 2011

शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म एक जुलाई सं मिलत


प्राइमरी आओर मिडिल स्कूल के टीचर बहाली के लेल होए वाला शिक्षक पात्रता परीक्षा के फार्म आब एक जुलाई सं मिलत. फार्म एक जुलाई सं चौदह जुलाई तक मिलत.

फार्म खरीदलाह के बाद एकरा भरि कs जमा करय के तारीख राखल गेल अछि 19 सं 30 जुलाई. शिक्षक पात्रता परीक्षा के तारीख बाद मे घोषित कएल जाएत
.
पिछला बेर फार्म के लsक भेल हो-हल्ला के बाद एहि बेर सरकार के तरफ
सं साफ निर्देश देल गेल अछि जे बेसि सं बेसि काउंटर बनाएल जाए. जिला मुख्यालय के संग सबडिविजन मे सेहो फार्म मिलत. कोशिश तं ब्लॉक स्तर पर बेचय के सेहो चलि रहल अछि. मुदा फिलहाल एहि पर अखन फैसला नहि भेल अछि.

एक बात आओर फार्म ओतहि जमा करय पड़त... जतय सं अहां खरीदने होएब. दोसर ठाम जमा करय के गलती नहि करब. सभ फार्म के नंबर के हिसाब सं राखल जाएत.

एकटा बाद आओर ध्यान राखब जे जनरल आओर रिजर्व वाला परीक्षार्थी के लेल अलग-अलग रंग के फार्म छापल गेल अछि. अगर अहां दोसर कोटि के फार्म भरि देबय तं अहांक फार्म रद करि देल जाएत.

पहिने सिर्फ दस लाख फार्म छलाएल छल आब करीब 35 लाख फार्म छापल जा रहल अछि. तीन लाख टीचर के बहाली आओर 35 लाख फार्म. प्रतियोगिता आसान नहि रहत. मुदा कनिओ होसगर प्रतियोगी के लेल ई कठिन नहि रहत.

एक जुलाई सं अहां फार्म नकद सेहो खरीद सकय छी. अगर पिछला बेर अहां ड्राफ्ट बना लेने छलहुं तं निराश होए के कोनो बात नहि ओहि ड्राफ्ट सं नवका फार्म सेहो मिल जाएत.

No comments:

Hotels in India

Best Offer