Subscribe

RSS Feed (xml)



Powered By

Powered by Blogger

Best Offers

Share with me

Monday, August 02, 2010

मैथिल विरोधी छथि नीतीश: कांग्रेस


 My Patna Dem [Explicit]Ruins Of The Nalanda Monasteries At Burgaon: Subdivision Bihar, Zillah Patna (1872)1850 Ship Reynard Hong Kong Jung Bahadoor Granary PatnaI Love Patna T-shirt Large WhiteJaap Sahib, Chaupai Sahib '& Shabad (Vol. 4)India - "PATNA" Set of 4 Mini-Mousepad CoastersPatna De TaruaINDIAN BABY - Country Series - Pink Onesie / Baby T-shirt - size Small (6-12M)I Don't Want Yo Girl (Dirty)[Prod. Sa Patna] (feat. Big Tuck) [Explicit]Leke Bhaag Jaeeb Patna BiharPatna Bahadoor Horse Granary Hms Reynard Stanley 1850
बिहार प्रदेश कांग्रेस मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए मैथिली विरोधी हेबाक आरोप लगेलक अछि। कांग्रेस प्रदेश कांग्रेस मीडिया विभाग के अध्यक्ष प्रेमचंद मिश्र कहला जे आब जखन विधानसभा क चुनाव निकट आबि गेल अछि त नीतीश कुमार कए मैथिली आओर विद्यापति क सम्मान क चिंता भेलन्हि अछि। नीतीशक मिथिला दौरा कए ढ़कोसला कहैत मिश्र कहला जे नीतीश कए इ बतेबाक चाही जे बिहार विद्यालय परीक्षा समिति क पाठच्यक्रम मे मातृभाषा क रूप मे शामिल मैथिली कए हटाकए ओकरा ऐच्छिक विषय क सूची किया राखल गेल अछि। की इ संविधान क अष्टम सूची मे शामिल मैथिली क संग अन्याय नहि अछि। मिश्र कहला नीतीश कुमार अप्रैल, 2008 मे हिन्दी आ उर्दू क संग बांग्ला कए मातृभाषा क रूप मे शामिल करि लेलथि मुदा मैथिली कए शामिल करबा स इनकार करि देलथि। बांग्ला कए मातृभाषा क रूप मे शामिल करबा पर कांग्रेस कए कोनो आपत्ति नहि अछि मुदा नीतीश कुमार कए इ बुझबाक चाही जे बिहार मे बांग्ला बजनिहार लोक स कहीं अधिक मैथिलीभाषी रहैत अछि आ इ बिहारक एकटा प्रमुख भाषा छी। कांग्रेस नेता कहला जे नीतीश गुपचुप तरीका स बिना घोषणा करने जाहि प्रकार स लोक सेवा आयोग क पाठच्यक्रम मे शामिल मैथिली कए स्कूली शिक्षा क पाठच्यक्रम स हटेला अछि ओ मैथिली क प्रति साजिश आ मैथिली कए लकए हुनकर कुंठा आ पूर्वाग्रह कए दर्शा रहल अछि।
Add:LINK
The Works of the Right Honourable Edmund Burke, Volume 7

No comments:

Hotels in India

Best Offer